अहाँ की देखलौं !!
अहाँ
की देखलौं !!
चैर
चक्का के गाड़ी
तैपर
बैसल किछु मैथिल सवारी ?
अहाँ
की देखलौं !!
यौ
हम देखै छि ----रथ
सारथी
जेकर कृष्ण छला
नव
विकास के सृजन करैत
उ
सब बाधा क तोइर बढैत गेला
..
अहाँ
की देखलौं !!
यौ
हम देखै छि ---भानु
मध्य
रैत म उदित भेला
जे
अन्हार-पीड़ा
सब हरैत गेला
निरास
युवा म नवस्फूर्ति भरैत गेला
..
अहाँ
की देखलौं !!
कैक
बरख स विस्म्रित भेल जे
अपने
घर म आन बनल
आय
ओहि सुतल उर
म
स्वाभिमान जगल
गौरवशाली
मिथिला निर्माण
आब
सम्मान बनल
अनकड़
नै बात पुछू
अपने
कतेक विरुद्ध भेला
धक्का
देनिहार दुई, सौ
लय मिलबैत गेला ..
संघर्ष
हिमालय के उ चढ़ैत गेला उ चढ़ैत
गेला ..
अहाँ
की देखलौं !!
नीक या बेजाय जेहेन लागल … जरुर कहब !
No comments :
Post a Comment